प्राचीन भारतक राजनितिक तथा सांस्कृतिक जीवनमे मिथिलाक महत्वपूर्ण भूमिका रहलैक अछि | ई भूमि महान राजतंत्र तथा गणतंत्र सभक उत्थान-पतन देखैत आबि रहल अछि | मानव-चिन्तनक इतिहासमें एकर विलक्षण स्थान छैक | ई भूमि जनक, याज्ञवलक्य, न्याय सूत्रक प्रणेता गौतम, वैशेषिक दर्शनक जनक कणाद, मीमांसाक प्रस्तेता जैमिनि तथा सांख्य दर्शनक संस्थापक कपिलक जन्मभूमि रहल अछि !एक सीमान्तर्गत वैशाली, जैन बौद्ध धर्म तथा दर्शनक प्रसिद्द गढ़ रहि चुकल अछि | ईसाक षष्ठ शतक तथा तकर परवर्ती कालमे मिथिला महान साहित्यिक तथा दार्शनिक क्रियाकलापक केंद्र बनल रहल | उद्योतकर (अनु० 700 ई० सन्), मंडन (अनु० 800 ई० स
न्) वाचस्पति (अनु० 840 ई० सन्) उदयन (अनु० 950 सन्) गङ्णेश (अनु० 1100 सन्) पक्षधर (अनु० 1450 सन्) प्रभृति अनेकानेक विद्वान अपन प्रखर प्रतिभासँ एहि भूमिकेँ विभिन्न युगमे उद्भासित
कयलनि | एहि तरहे मिथिला अनेक शतक धरि भारतीय सांस्कृतिक केंद्र बनल रहल |
एहि भूमिक हेतु प्रयुक्त 'विदेह' अथवा 'मिथिला' नामक उत्पत्ति विशुद्धतः पौराणिक अछि | जुलियस एग्लिंगक अनुसार प्राचीनकालमें ई भू-भाग आर्यलोकनिक निवासस्थान अतिपूर्वमें छल | कहल जाइछ जे उक्त प्रदेश अपन नाम सरस्वती तीरसँ आगत राजा विदेघ माथव अथवा विदेह माधव सँ पओलक | शतपथ ब्राह्मणक अनुसार विदेघ माथव अपन पुरोहित गौतम रहूगणक संग सरस्वती तटसँ सदनिराक (गण्डकीक) तटपर आबि सर्वप्रथम अग्निकेँ प्रज्वल्लित क' एही भूमिकेँ पवित्र कयलनि | ई सत्य जे माथवक आगमनक पश्चात अनेक ब्राह्मण एते अयलाह | फलतः एहि भूमि पर कृषि प्रारंभ भेल तथा यज्ञ द्वारा अग्निकेँ संतृप्त कएल गेल | महाकाव्य तथा पपुराणसभक वंशावलीमर द्वितीय राजाक रूपमें परिणित मिथि वैदेह माथव विदेघक परिलिक्षित थिक | पौराणिक वंशावलीक अनुसार अयोध्यापति मनुक पुत्र निमि एहि यज्ञ-भूमि अयलाह | हुनकर पुत्र मिथि अपन नाम पर मिथिला राज्यक स्थामना कयलनि | नगर निर्माणक क्षमता रखवाक कारणे ओ 'जनक' नामसँ प्रख्यात भेलाह | इहो कहल जाइछ जे मंथनक बाद उतपन्न होयबाक फलस्वरूप हुनक नाम मिथि राखाल गेलनि | असमान्य जनमक कारणेँ ओ जनक कहओलनि तथा पिता अशरीरी रहबाक कारणें विदेह | एहि तरहेँ हुनक नामक अधारपर एहि प्रदेशक नाम मिथिला पड़ल |
विशेष सुचना : उपरोक्त तथ्य डॉक्टर उपेन्द्र ठाकुर द्वारा लिखित आ मैथिली अकादमी पटना द्वारा प्रकाशित मिथिलाक इतिहास सँ लेल गेल अछि !
पृष्ठ एखन निर्माणाधीन अछि !
In the meantime, here is some useful information about the Standard Template.
The Standard Template is a template website designed by the Wikidot Community for users like yourself. We provide you with basic pages and facilities to help you get started on your new project. For instance:
- Twitter Bootstrap is integrated into the site's layout and design so that your site will look good regardless of the device viewed upon.
- The home page is designed as a cover, giving you all the code necessary to adapt it to your own needs.
- Top and Side navigation bars are provided and easily customizable
- All pages use categories for stronger organization
- A standard HTML layout allows for consistent theme creation and theme compatibility
- Let others discuss your site on a public forum provided by the template
Special thanks goes to the following users for their contribution to this template site:
The Complete Mithila TeamFor providing the platform upon which the site stands |
|
Roshan ChoudharyCEO & Founder of The Complete Mithila |
|
Ed JohnsonFor work concerning the Administrator Link and Bootstrap pioneer site, the Bootstrap Playground |
|
Everyone ElseSpecial thanks goes to RobElliott and Helmut_pdorf for their front-line support on the Community site, and to James Kanjo, leiger and tsangk for the development of snippets integrated into this site. |